Biblia Todo Logo
Online Bible

- Advertisements -




फिलिप्पी 1:9 - केवट नया कारार

9 हमर प्रार्थना इहे छै कि सचके ज्ञान आर बुद्धि-विवेकके साथ एक दोसरके लिए तोरसिके प्रेम लगातार बढ्ते रहौ।

See the chapter Copy




फिलिप्पी 1:9
19 Cross References  

हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एकटा बच्चाके जुगुर नैसोच, मगर बच्चासिके जुगुर निर्दोष बन, जब खराबीके बात आबैछै, मगर एरंको बातसिके बुझैमे परिपक्क बन।


जेरंके तुहेंसब सभे बातमे आगु बढ्ल छैं यानिकी विश्वासमे, प्रचार करैके योग्यतामे, ज्ञानमे, दोसर आदमीसिके वास्ता करैमे आर हमरसिके प्रतिके प्रेममे, ओहिने करिके तुहेंसब गरिब विश्वासीसिके सहायता करैमे भी आगु बढ्ते जो।


सेल्याके निर्बुद्धि नैहु, मगर यी सम्झैके कोशिश करिके बुद्धिमान बन कि प्रभु तोरासिसे कि करवाबैले चाहैछै।


सेल्याके जे दिनसे हमेसब यी बात सुन्लियै छे, हमेसब सभे दिन तोरसिके लिए प्रार्थना करैछियै। हमेसब प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब सच्चेके जाने सक्हैं कि परमेश्वर तोरासिके कि करैले कहैछौ। उटा यी छै कि तुहेंसब बहुते बुद्धिमान हैभैं आर तुहेंसब आत्मिक बातसब बढियाँसे बुझ्भैं।


आब तुहेंसब एकटा नया आदमी बनी गेल्हैं छे। यी नया स्वभाव परमेश्वरके स्वरुपमे लगातार बढ्ते जैछौ ताकी तुहेंसब आरहौ बढियाँसे परमेश्वरके जाने सक्हैं।


आर हमेसब प्रार्थना करैछियै कि जेरंके हमेसब तोरसिसे प्रेम करैछियौ, ओहिने करिके तोरसिके प्रेम एक दोसरके प्रति आर सभे आदमीसिके लिए बढते आर उमडते रहौ।


अन्तमे हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमेसब तोरासिके प्रभु येशूके नाममे आग्रह करैछियौ कि जेरंके हमेसब तोरासिके सिखैलियौ छे, परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी। तुहेंसब पहलहैसे एरंके जीवन जियैछैं, आर हमेसब तोरासिके एरंके जियैके लिए आरहौ बेसी उत्साह दैछियौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरसिके लिए सभे दिन हमरासिके परमेश्वरके धन्यवाद चढाना चाही, आर यी करना हमरसिके लिए उचित छै, कहिनेकी तुहेंसब निरन्तर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं आर एक दोसरप्रतिके तोरसिके प्रेम भी बढते गेलौ छे।


हमे प्रार्थना करैछियौ कि सभे बढियाँ बात जे परमेश्वर तोरासिके देल्कौ छे यी जानैके कारणसे विश्वासीसिके संगे तोर संगति बढ्ते जौ। यी ख्रीष्टके महिमाके लिए है।


ठोस खाना ऊ आदमीके लिए छै जे विश्वासमे परिपक्क छै, जे अभ्यासके द्वारा सही आर गलतके पहचान करैमे सक्षम छै।


कहिनेकी तुहेंसब सचके पालन करिके शुद्ध भेल छैं, आब तोरासिके आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके निष्कपट प्रेम करे पडैछै। तुहेंसब एक दोसरके पुरा हृदयसे बहुते गहरा प्रेम कर।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


Follow us:

Advertisements


Advertisements