फिलिप्पी 1:6 - केवट नया कारार6 हमरा यी पक्का विश्वास छै कि परमेश्वर तोरासिमे कुछु बढियाँ करैले शुरु कैल्कौ छे, परमेश्वर ही यी काम उटा दिनमे पुरा कर्तौ जब येशू ख्रीष्ट वापस ऐतौ। See the chapter |
परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।
मगर ख्रीष्ट जरुर फेर वापस ऐतै। ऊ अचानक फेर वापस आबी जैतै, जेरंके रातके समयमे कोनो चोर अचानक ही आबी जैछै। उटा समय आकाशमे गर्जनके आवाज हैतै आर आकाश अलप भ्याजैतै। आकाशमे सभे कुछु यानिकी सुरुज, चान आर तारा पुरा तरहसे जरि जैतै। उटा दिन परमेश्वर उटा सभे कामसिके प्रकट करि देतै जे काम आदमीसब कैल्कै छे ताकी ऊ ओकरसिके न्याय करे सकै।