29 कहिनेकी परमेश्वर तोरासिके खाली ख्रीष्टमे विश्वास करैके ही नै मगर ओकरामे विश्वास करैके कारणसे दुःख भोगैके अवसर भी देल्कौ छे।
येशू ओकरा कहैल्कै, “योनाके बेटा सिमोन तुहें धन्यके छैं, कहिनेकी यी बातके ज्ञान तोरा कोनो आदमीसे नै, मगर स्वर्गमे भेल हमर परमेश्वर पिता तोरा यी प्रकट कैल्कौ छे।
आर जे बातसिसे तुहेंसब मूसाके विधि-विधानके द्वारा निर्दोष नैठहरे सक्ते रह, ओक्रहैसिमेसे हरेक विश्वास करेवाला आदमी येशूके द्वारा निर्दोष ठहरैछै।
ऊसब सभे सहरमे चेलासिके मनके मजगुत बनैते रहलै आर यी उपदेश दै कि आपन विश्वासमे स्थिर र, आर यी कहै, “अपनासिके बहुते कष्ट सहिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करे पड्तै।”
ओत्ते पहुँचीके ऊसब एन्टीओखिया सहरके मण्डलीके जमा करैल्कै आर कहैल्कै कि परमेश्वर हमरसिके संगे भ्याके केरं बडका-बडका काम कैल्कै आर गैर-यहूदी आदमीसिके परमेश्वर केरंके येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके लिए सक्षम बनैल्कै।
तब येशूके खातिर अपमान सहैके योग्यके ठहर्लियै कहिके यी बातमे आनन्द मनैते ऊसब महासभाके उपस्थितिसे निक्लीके गेलै।
खाली एतनें ही नै, अपनासब संकटमे भेल समयमे भी आनन्दित हुए सकैछियै, अपनासिके मालुम छै कि आपनसिके दुःख भोग्ल कारणसे अपनासब आरहौ बेसी धीरज राखैले सिखैछियै।
कहिनेकी जब तुहें विश्वास कैल्हैं ते परमेश्वर आपन अनुग्रहसे तोरा बच्या लेल्कौ। तुहें आपन उद्धारके नैकमैल्हैं छे, यी ते परमेश्वरके दान छै।
जब तुहेंसब बप्तिस्मा लेल्हैं, तुहेंसब ख्रीष्टके जुगुर गाड्ल गेल्हैं, आर ख्रीष्टके जुगुर मुर्दासे जिन्दा करैल गेल्हैं। यी इहे ल्याके भेलै कि तुहेंसब यी बातमे विश्वास कैल्हैं कि परमेश्वर, आपन शक्तिद्वारा, ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै।
हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, जब तोरासिपर अनेक किसिमके जाँच करेवाला आपद-विपदसब ऐतौ ते एकरा बडका आनन्दके बात समझ।
खाली एकर विषयमे खुश र, कहिनेकी तोरासिके उटा दुःखसिमे एकटा हिस्सा मिल्लौ छे जे ख्रीष्टके मिल्लै रहे। इहे कारणसे, जब ख्रीष्ट सभे आदमीसिके आपन महिमा प्रकट करैके लिए फेर वापस ऐतै ते तोरसिके आनन्द सचमे बडका हैतौ।