फिलिप्पी 1:23 - केवट नया कारार23 हमे नैजानैछियै कि यी दीटामे ककरा चुने पड्तै। मगर मरिके ख्रीष्टके संगमे हुऐके इच्छा छै, कहिनेकी यी बहुते बढियाँ छै, See the chapter |
सेल्याके हमेसब भी परमेश्वरके धन्यवाद निरन्तर करैछियै, कि जब तुहेंसब परमेश्वरके खुश-खबरीके सन्देश सुन्लहैं, जे हमेसब तोरासिके प्रचार कैलियौ ते, तुहेंसब ओकरा आदमीसिके नै, मगर परमेश्वरके वचन सम्झलहैं आर यी सन्देश परमेश्वरके तरफसे छै कहिके स्वीकार कैल्हैं। आर यी सन्देश जे परमेश्वरके तरफसे छै आब तोरासिमे काम करैछौ, जेसब ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं।
फेर हमे स्वर्गसे कक्रहौ बोल्ते सुन्लियै आर ऊ हमरा कहैल्कै, “यी बातसिके एत्ते लिख। आबसे ऊ आदमीसब धन्य छै जेसब प्रभुमे भरोसा कर्ते हुए मरि जैछै।” तब पवित्र आत्मा यी बात पर सहमत भेलै आर ऊ कहैल्कै, “यी सच छै। ऊसब धन्य छै कहिनेकी ऊसब आपन कडा मेहनतसे आराम पैतै आर जे काम ऊसब कैल्कै छे ओकर खातिर ओकरासिके इनाम देल जैतै।”