Biblia Todo Logo
Online Bible

- Advertisements -




फिलिप्पी 1:14 - केवट नया कारार

14 आर प्रभुमे जे भ्यासब छै, ओकरासिमेसे बहुते झन हमे एखन जेलमे हुऐके कारणसे उत्साहित भ्याके, परमेश्वरके वचन बिना डर्याके प्रचार करैके लिए साहासी भेलै छे।

See the chapter Copy




फिलिप्पी 1:14
16 Cross References  

तब उटा सुख्ल हात भेल आदमीके येशू कहैल्कै, “सभे आदमीसिके बीचमे खडा भ्याजो।”


कि ऊ हमरासिके हमर दुश्मनसिसे उद्धार कर्तै ताकी हमेसब बिना कोनो डरके साथ परमेश्वरके सेवा करे सकियै।


सेल्याके एरं आशा राखिके हमेसब साहासके साथ बोलैछियै।


तोरासिपर हमरा पुरा भरोसा छै आर हमे तोरासिपर बहुते गर्व करैछियै। हमे खुब उत्साहित छियै आर हमर सभे कष्टसिमे हमे आनन्दसे भरपुर रहैछियै।


सेल्याके हमे तोरासिसे बिन्ती करैछियौ, कि तोरसिके लिए हमे भोगी रहल कष्टमे तुहेंसब निराश नैहु। कहिनेकी यी सभे तोरेसिके फैदाके लिए छौ।


हमर उत्कट इच्छा आर आशा यी छै कि हमे कहियो लज्जित नैहैबै, मगर पहेला कैल जुगुर ख्रीष्टके बारेमे बोलैके हमरा साहास हैतै। चाहे हमे जियै या मरियै हमे हमर सारा जीवनसे ख्रीष्टके लगातार आदर देबै।


तोरसिके सभैके लिए एरं सोचना हमर लिए सही छै, कहिनेकी तोरसिके लिए हमर मनमे विशेष जगह छै। चाहे हमे कैदमे छियै या खुश-खबरीके सच्चाईके साबित आर रक्षा करैछियै, हरेक समयमे तुहेंसब परमेश्वरके अनुग्रहमे हमरसंगे सामिल भेल छैं।


सेल्याके, हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बहुते प्रेम करैछियौ आर तोरसिके भेट करैके लिए इन्तजार करैछियौ। तुहेंसब हमर आनन्द आर मकुट छैं। हमर प्रिय भ्या-बहिनसब, जेरंके हमे कहैलियौ छे ओरंके आपन विश्वासमे मजगुत भ्याके र।


आर प्रार्थना कर कि हमे ख्रीष्टके रहस्यके स्पष्ट रुपसे आर खुलिके घोषणा करे सकियै।


हमरसिके प्रिय विश्वासी भ्या तुखिकस हमर सभे बात तोरासिके बतैतौ। ऊ एकटा विश्वासयोग्य सहकर्मी छै आर ऊ हमरसंगे प्रभुके सेवा करैछै।


मगर जेरं तुहेंसब खुद भी जानैछैं, कि हमेसब पहेला फिलिप्पी सहरमे कष्ट भोग्लियै आर उपद्रव सहेलके बाद हमरासिके तोरसिके सहरके आदमीसिके द्वारा घोर विरोध भेलपर भी तोरासिके परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए हमरासिके परमेश्वरद्वारा साहास मिल्लै।


हमे खुश-खबरीके प्रचार करैके कारणसे एकटा अपराधीके जुगुर जेलमे दुःख भोगैछियै। मगर कोनो भी चीज आदमीसिके परमेश्वरके खुश-खबरी फैलाबैसे रोके नैसकैछै।


Follow us:

Advertisements


Advertisements