Biblia Todo Logo
Online Bible

- Advertisements -




फिलिप्पी 1:10 - केवट नया कारार

10 ताकी तुहेंसब चुने सक्हैं, कि करना सही छै, आर जब ख्रीष्ट वापस ऐतै ते तुहेंसब शुद्ध आर निर्दोष रहे सक्हैं।

See the chapter Copy




फिलिप्पी 1:10
43 Cross References  

मगर येशू घुमिके पत्रुसके कहैल्कै, “शैतान, तुहें हमर लगतसे दूर हटिजो, तुहें हमर लिए बाधा छैं। तोर विचार परमेश्वरसे नै मगर आदमीके स्वभावसे छौ।”


पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “सभेको छोडिके भाग्तै मगर हमे तोरा छोडिके कहियो नैभाग्भौं।”


येशू नथानेलके आपन महर ऐते देखिके ओकर बारेमे कहैल्कै, “देख, इस्राएलीसिके भरोसामन्द सन्तान, जे पुरा तरहसे इमानदार छै।”


कहिनेकी दुष्ट काम करेवाला सभेको उजेतके घृणा करैछै। उजेतमे ओकरसिके कैल कामसब देख्ल जैतै कहिके डरसे ऊसब उजेतमे नैआबैछै।


इहे कारण हमे हमेशा आपन जीवन ऊ तरहसे बिताबैके कोशिश करैछियै, जकरासे हमे परमेश्वर आर आदमीसिके नजरीमे निर्दोष रहियै।


यी संसारके तौर तरिकामे नैचल, मगर तोरसिके मन पुरा रुपसे परिवर्तन हौ, जकरासे तुहें परमेश्वरके बढियाँ, ग्रहणयोग्य आर सिद्ध इच्छाके पता लगाबे सक्हैं।


दोसर आदमीसिके प्रेम करैके ढोंग नैकर। खराब बातके घृणा कर। बढियाँ बात करैके लिए उत्सुकताके साथ लाग्ल र।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, कि ऊ आदमीसब जे तोरसिके बीचमे फुट पैदा करैछै आर जे आदमीसिके गलत बातसिपर विश्वास करैके लिए लगाबैछै, ओकरसिसे होशियार र आर ओकरासिसे दूर र।


आर तोरा परमेश्वरके इच्छा मालुम छौ, तुहें बढियाँ-बढियाँ बातके पाछु चलैछैं कहिनेकी तोरासिके यी बातसिके विषयमे विधि-विधानसे सिखैल गेलौ छे।


आर यदि हमे जे करैले नैचाहैछियै उहे खराब काम करैछियै ते, विधि-विधान ठीक छै कहिके हमे सहमत छियै।


कहिनेकी हमे हमर पुरा हृदयसे परमेश्वरके विधि-विधानमे आनन्दित रहैछियै।


कहिनेकी पापी स्वभावके द्वारा नियन्त्रित होना परमेश्वरसे दुश्मनी राखना छै। कहिनेकी ऊसब परमेश्वरके विधि-विधानके पालन नैकरैछै आर ऊसब उटा पालन भी नैकरे सकैछै।


आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके यी संसारमे वापस आबैके दिनमे तोरासिके दोषरहित राखैले परमेश्वर तोरासिके अन्ततक विश्वासमे मजगुत राख्तौ।


तुहेंसब कक्रहौ भी ख्रीष्टमे विश्वास करैसे दूर लजाबेवाला काम नैकर, चाहे ऊ यहूदी आदमीसिके है, या गैर-यहूदी आदमीसिके है या परमेश्वरके मण्डलीके है।


सेल्याके यदि मूर्तिसिके चढैल भोजन खैसे दोसर विश्वासी आदमीके विश्वास खतम हैछै ते, हमे ओरंको भोजन कहियो नैखैबै ताकी हमे दोसर विश्वासी आदमीसिके विश्वास खतम हुऐके कारण नैबनियै।


हमेसब गर्व करैछियै कि हमरसिके विवेक साफ छै। संसारमे आर खास करिके तोरसिके संगे हमरसिके सम्बन्धमे हमेसब परमेश्वरसे ऐल पवित्रता आर सच्चाईमे चल्लियै छे, यी आदमीके बुद्धिसे नै मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे छै।


हमेसब ऊ आदमीसिके जुगुर नैछियै, जे पैसा कमाबैके लिए परमेश्वरके वचनके प्रचार करैछै। मगर ख्रीष्टमे, हमेसब परमेश्वरके समनामे इमानदार आदमीसब आर ख्रीष्टके सेवकके रुपमे बोलैछियै।


परमेश्वरके सहकर्मीके रुपमे, हमरसिके कैल कामके निन्दा नैहै कहिके हमेसब कक्रहौ बाधा दियैके काम नैकरैछियै।


हमे यी बात आज्ञाके रुपसे ते नैकहैछियौ, मगर एकरा दोसर आदमीसिके उत्सुकतासे तुलना करिके तोरसिके प्रेमके सच्चाईके जाँचैके लिए कहैछियौ।


मगर हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे प्रचार करैछियै कि खतना महत्वपूर्ण नैछै, आर इहे कारणसे हमरा यहूदी आदमीसिके द्वारा निरन्तर सतैल जैछै। यदि हमे ख्रीष्टके मौतके विषयमे प्रचार नैकरिके खतनाके विरुद्धमे प्रचार कर्तियै ते यहूदी आदमीसिके लिए कोनो अपमान नैहैतियै।


बरु, प्रेमसे सच बोलीके अपनासब हरेक बातमे परिपक्क आर ख्रीष्टके जुगुर भ्याजैयै, जे आपनसिके शरीर यानिकी मण्डलीके शिर छै।


यी सिखैके कोशिश कर कि कोन बात प्रभुके खुश बनाबैछै।


ऊ आपन आदमीसिके लिए भी मर्लै ताकी ऊ आपन मण्डलीके सिद्ध बनाबे सकै आर अपनासब सभैके आपन उपस्थितिमे आने सकै, जकरामे कोनो दोष या पाप या कोनो खराब बात नैहैतै, बरु विश्वासीसब पवित्र आर दोषरहित हैतै।


परमेश्वर ओकरासिके सभैके आपन अनुग्रह देखाबै जेसब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टसे कहियो खतम नैहुएवाला प्रेम करैछै।


बढियाँ विचारसे प्रचार करेवाला आदमीसब प्रेमके कारणसे यी करैछै कहिनेकी ओकरासिके मालुम छै कि हमरा ख्रीष्टके बारेमे खुश-खबरीके रक्षा करैके कारण जेलमे कैद कैल्कै छे।


हमरा यी पक्का विश्वास छै कि परमेश्वर तोरासिमे कुछु बढियाँ करैले शुरु कैल्कौ छे, परमेश्वर ही यी काम उटा दिनमे पुरा कर्तौ जब येशू ख्रीष्ट वापस ऐतौ।


ताकी जब ख्रीष्ट वापस ऐतै तब हमरा गर्व करैके कारण है कि हमर प्रयास आर कठिन मेहनत करना बेकार नैभेलै।


हमेसब प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके प्रभु येशू तोरसिके मनके एरंके स्थिर कराबौ, कि जब ऊ आपन पवित्र आदमीसिके संगे फेर वापस ऐतौ ते, तुहेंसब आपनसिके परमेश्वर पिताके समनामे निर्दोष आर पवित्र ठहरहैं।


सभे बातके जाँच कर कि उटा बात परमेश्वरसे ऐलै छे कि नैऐलै छे। बढियाँ बातसिके स्वीकार आर ओकरा पालन कर।


शान्ति दिएवाला परमेश्वर आपनहैं पुरा रुपसे तोरासिके पवित्र बनाबौ आर तोरसिके सारा आत्मा, प्राण आर शरीर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके दिनतक निर्दोष रहौ।


हे प्रिय दोस्तसब, पवित्र आत्माद्वारा बोलैछियै कहिके दाबी करेवाला सभैके विश्वास नैकर, मगर आत्मासब परमेश्वरसे ऐल छै कि नैछै कहिके ओकर जाँच कर। कहिनेकी बहुते झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासब यी संसारमे छै।


हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, हमरापर विश्वास करैके कारण जब तोरा सतैल जैछौ तैय्योपर भी तुहें सहैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें दुष्ट आदमीसिके स्वीकार नैकरैछैं। तुहें एरंको आदमीसिके जाँच कैल्हैं छे, जे झुट्ठा दावा करैछै कि ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेला छै आर तुहें बुझी गेल्हैं छे कि ऊसब झुट्ठा छै।


Follow us:

Advertisements


Advertisements