9 आर आपन मनमे यी सोचिके बेफिकिर नै भ्याजो कि, हमरसिके कुल-पिता ते ‘अब्राहम’ छै। हमे तोरासिके कहैछियौ कि, परमेश्वर यी पत्थलसिसे अब्राहमके लिए सन्तान पैदा करे सकैछै।