29 हे भ्या-बहिनसब, आपनसिके पुर्खा दाऊद राजाके विषयमे हमे खुलिके कहे सकैछियै, कि ऊ मर्लै आर गाड्ल गेलै आर ऐजतक आपनसिके संगे ओकर सारा छैबे करै।