3 हम माकेडोनिया परदेस जाइबखत तोरा एफिससमे रह कैहके कहने छेलियौ। आब फेनो कहैचियौ कि ओतै रह आ झुठ सिक्छा सिखाइबलासबके ओहेन नै सिखा कैहके करा आग्या दहै।