हिब्रू 7:1 - केवट नया कारार1-3 यी मल्किसदेक शालेम सहरके राजा आर सर्वोच्च परमेश्वरके पुजारी रहै। ओकर नामके मतलब छै “न्यायके साथ शासन करेवाला राजा” आर शालेमके राजाके मतलब छै “शान्तिके राजा”। धरमशास्त्रमे ओकर बाबु, मयाँ, ओकर पुर्खासब या ओकर जनम या ओकर मौतके बारेमे कुछु भी नैलिख्ल गेलै छे। ऊ सभे दिनके लिए एकटा पुजारी छै। सेल्याके ऊ परमेश्वरके बेटाके जुगुर छै। जब अब्राहम चारटा राजासिके मारिके वापस ऐते रहै, तब मल्किसदेक ओकरासे भेट कैल्कै आर ओकरा आशीर्वाद देल्कै। अब्राहमके उटा लडाईमे जित प्राप्त भेलके बाद जे कुछु भी मिल्लै रहे, ऊ मल्किसदेकके उटा सभे चीजसिके दशांश देल्कै। Viz kapitola |