१ पत्रुस 1:18 - केवट नया कारार18-19 तुहेंसब जानैछैं कि परमेश्वर तोरासिके तोरसिके बेकारके रिती-रिवाजसिसे छुटाबैके लिए जे तुहेंसब आपन बाप-पुर्खासिसे सिख्लहैं रहैं। ऊ तोरासिके छुटकारा दिलाबैके लिए एरंको दौलतके प्रयोग नैकैल्कै जकरा चानी या सोनाके जुगुर नाश कैल ज्या सकैछै। एकर बदलामे, परमेश्वर तोरासिके ख्रीष्टके बहुमूल्य खूनसे किनल्कौ जे आपनसिके पापके लिए बलिके रुपमे मरि गेलै। ओकर मौत आपनसिके लिए परमेश्वरके छागरके रुपमे एकटा सिद्ध बलिदान रहै, जेरं कि यहूदी पुजारीसिके द्वारा बलि चढैल ज्यावाला छागर सिद्ध आर बिना कोनो दाग आर खोटके रहै। Viz kapitola |