Online Bible

- Reklamy -

यहूदा 1 - केवट नया कारार

1 हमे, यहूदा, तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ। हमे येशू ख्रीष्टके एकटा सेवक आर याकूबके छोटका भ्या छियै। हमे तोरासिके लिखैछियौ, जकरासिके परमेश्वर आपन उप्परमे विश्वास करैके लिए बोलैल्कौ छे। हमरसिके परमेश्वर पिता तोरासिसे प्रेम करैछौ आर तोरासिके येशू ख्रीष्टमे सुरक्षित राखैछौ।

2 हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर तोरासिके दया, शान्ति आर प्रेम प्रशस्तसे प्रदान करौ।


गलत शिक्षासब

3 हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके ऊ उद्धारके विषयमे लिखैके लिए सकभर कोशिश कर्ते रहियै जे येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके तरफसे आबैछै आर जकरामे अपनासब सभेको सहभागी छियै। मगर आब हमे यी चिट्ठीके द्वारा तोरासिके उत्साहित करैके दबाब महसुस करैछियै ताकी तुहेंसब ख्रीष्टियन विश्वासके पक्डीके राखैके लिए आरहौ भी कडा प्रयास कर्भैं। परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी विश्वास एक्केबेर सभे दिनके लिए द्या देल्कै छे, आर एकरा बदल्ल नै ज्या सकैछै।

4 हमे तोरासिके लिखैछियौ कहिनेकी कुछु आदमीसब जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके दिखावा करैछै, ऊसब तोरसिके मण्डलीमे सामिल भ्या गेलौ छे। ऊसब परमेश्वरके सम्मान नैकरैछै आर ऊसब एरं कहिके गलत शिक्षा दैछै, कहिनेकी परमेश्वर आपन अनुग्रहसे आपनसिके पापसिके माफ करि दैछै, इहे ल्याके अपनासब अनैतिक जीवन जिये सकैछियै। ऊसब येशू ख्रीष्टके अस्वीकार करैछै, जे आपनसिके एक्केटा मालिक आर आपनसिके प्रभु छै। बहुते समय पहेला धरमशास्त्र कहैछै कि परमेश्वर एरं आदमीसिके सजाय देतै।

5 जब कि तुहेंसब यी सच्चाईसे पहेलासे ही परिचित छैं, तैय्योपर भी एत्ते हमर मकसद यी याद दिलाना छै कि प्रभु इस्राएलीसिके दास बनैल जैसे बचैल्कै आर ओकरासिके मिश्र देशसे बाहार आनल्कै, मगर पाछु परमेश्वर ओकरासिके सभैके जान मारल्कै, जेसब मरुभूमीमे ओकरापर भरोसा नैकैल्कै।

6 तोरासिके ऊ दूतसिके विषयमे भी सोचना चाही, जे उटा अधिकारसे सन्तुष्ट नैरहै, जे परमेश्वर ओकरासिके देल्कै रहे, मगर स्वर्गमे आपन घरके त्यागी देल्कै, परमेश्वर ओकरासिके निच्चा अनहारमे अनन्त सिक्कडसब ल्याके बान्ही देल्कै, जते परमेश्वर ओकरासिके उटा महान दिनके लिए राखी रहलै छे जब परमेश्वर ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला सजाय देतै।

7 यी इस्राएलीसब आर स्वर्गदूतसिके जुगुर ऊ आदमीसिके भी याद कर जे सदोम सहर आर गमोरा सहर आर ओकर आस-पासके गाँवमे रहते रहै ओकरसिके संगे कि भेलै रहे। ऊ आदमीसब व्यबिचारी भ्यागेलै आर सभे प्रकारके यौन भ्रष्टतासे भरि गेलै रहे। इहे ल्याके परमेश्वर ओकरासिके आगिनसे नाश करिदेल्कै। ओकरसिके संगे जे भेलै ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके लिए एकटा चेतावनी बनी गेलै छे कि ओकरासिके भी कहियो नैमिझाबेवाला आगिनसे सजाय देल जैतै।

8 ओहिने करिके यी अधर्मी आदमीसब यी दावा करैछै कि परमेश्वर ओकरासिके दर्शनमे देखैल्कै छे कि ऊसब अनैतिक तरिकासे जीवन जिविके आपन खुदके शरीरके भ्रष्ट बनाबे सकैछै, ओकरासिके कक्रहौ भी आपन उप्परमे अधिकार राखैले दियैके जरुरत नैछै आर ऊसब अलौकिक स्वर्गदूतसिके विषयमे खराब बोलैछै।

9 मगर एत्तेतक कि प्रमुख स्वर्गदूत मिखायल भी ओरं नैकैल्कै जेरं यी झुट्ठा शिक्षकसब करैछै। जब शैतान मिखायलसे यी बात पर विवाद कैल्कै कि ऊ दोनो झनमेसे ककरा परमेश्वरके वक्ता मूसाके शरीरके दफनाबैके अधिकार छै ते, जब कि मिखायल लगत यी आदमीसिके तुलनामे बहुते बेसी अधिकार छै, फेर भी ऊ शैतानसे अपमानजनक तरिकासे बात नैकैल्कै आर ओकरापर दोष नैलगैल्कै। मगर ऊ खाली एतनें कहैल्कै, “प्रभु तोरा धोपौ।”

10 मगर यी आदमीसब ऊ बातसिके विरुद्ध अपमानजनक तरिकासे बोलैछै, जकरा ऊसब नैबुझैछै। आर जे बातसब ऊसब बुझैछै आर उटा कामसब स्वभाविक तरिकासे बौक जानवरसिके जुगुर करैछै ते, यीसब उटा पापमय कामसिके करैके द्वारा खुदके नाश करैछै।

11 ओकरासिके बहुते भयानक हैतै! कहिनेकी ऊसब कयिनके जुगुर दुष्टतासे आपन जीवनके चलाबैछै, जे आपन छोटका भ्याके जान मारि देल्कै कहिनेकी ऊ ओकरासे जर्नी कर्ते रहै। कहिनेकी परमेश्वर ओकर छोटका भ्याके द्वारा चढैल बलिदानके स्वीकार कैल्कै रहे मगर ओकर चढैल बलिदानके स्वीकार नैकैल्कै रहे। ऊसब बालामके जुगुर छै, जे परमेश्वरके आदमीसिके पाप करैके लिए उक्साबैके कोशिश कैल्कै, ताकी ऊ, उटा दौलतके हासिल करे सकै जकर पेशकश ओकरा कैल गेलै रहे। ऊसब कोरहके जुगुर नाश भ्याजैतै, जेसब उटा अधिकारके विरुद्ध विद्रोह कैल्कै जे अधिकार परमेश्वर मूसाके देल्कै रहे।

12 जेरंके समुन्दरके निच्चामे नुक्याके रहेल चट्टान नावसिके लिए खतरनाक हैछै, ओहिने करिके यी आदमीसब तोरसिके प्रेम भोजमे तोरसिके लिए खतरनाक हैछौ। एत्तेतक कि ऊसब यी भोजसिमे शर्मनाक तरिकासे काम करैछै, मगर ऊ आपन शर्मनाक कामके कारण कोनो डर या शरम महसुस नैकरैछै। ऊसब ऊ चरवाहासिके जुगुर छै, जे खाली आपने देखभाल करैछै, ऊसब दोसर आदमीसिके सहायता नैकरैछै। ऊसब ऊ बादलके जुगुर छै जकरा हावा सुख्खा जमिनमे बिना कोनो बर्षा कैले ही उड्याके ल्याजैछै। ऊसब प्रतिज्ञा बहुते करैछै, मगर कुछु भी नैदैछै। ऊसब फसलके समयके गाछके जुगुर छै जकरापर कोनो फल नैहैछै आर जकरा उखाडी देल जैछै यानिकी ऊसब कुछु भी बढियाँ नैकरे सकैछै।

13 जेरंके समुन्दरके अशान्त लहर गन्दा फेन बनाबैछै, ओहिने करिके यी आदमीसब शर्मनाक काम करैछै। ऊसब कुछु तारासिके जुगुर छै जे एकटा सिधा रस्तापर नैचलैछै, ऊसब सही रस्ता नैदेखाबैछै। प्रभु ओकरसिके लिए एकटा जगह राखैछै जे पुरा तरहसे अनहार छै जते ओकरासिके सभे दिनके लिए रहे पड्तै।

14 आदमसे आबेवाला सतमा आदमी हनोक यी अधर्मी आदमीसिके विषयमे भविष्यवाणी कैल्कै रहे। ऊ कहैल्कै, “सुन! परमेश्वर निश्चित रुपसे आपन अनगन्ती पवित्र स्वर्गदूतसिके संगे ऐतै

15 ऊ सभे आदमीसिके न्याय कर्तै आर सभे अधर्मी आदमीसिके द्वारा कैल गेल अनैतिक आर खराब कामसिके लिए आर पापी आदमीसिके परमेश्वरके विरुद्धमे कैल उटा सभे अपमानजनक कामसिके लिए सजाय देतै।”

16 यी आदमीसब सभे दिन परमेश्वरके विरुद्धमे बोलैछै आर दोसर आदमीसिमे गल्ती खोजैछै। ऊसब लगातार उटा खराब कामसिके करैछै जे ओकरसिके दिल करैले चाहैछै। ऊसब आपन विषयमे घमण्डसे दावा करैछै आर खुदके लिए फैदा लियैके खातिर दोसर आदमीसिके चापलुसी करैछै।


विश्वासमे मजगुत बन्ल र

17 मगर हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब उटा बातसिके याद कर जे आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेलासब बहुते पहेला बत्या चुकल्कौ छे।

18 ऊसब तोरासिके कहैल्कौ रहे, “आपनसिके प्रभु येशू फेर वापस आबैसे पहेला एरंको आदमीसब हैतै जे प्रभु आर ओकर आदमीसिके मजाक उडैतै। इहे ऊ आदमीसब छै जकरसिके जीवनपर ओकरसिके आपन खराब इच्छाके नियन्त्रण छै।”

19 इहे ऊ आदमीसब छै जे तोरासिके अलग-अलग दलमे बाँटैके कारण बनैछै। ऊसब आपन खुदके इच्छाके मुताबिक व्यवहार करैछै आर ओकरासिमे पवित्र आत्मा नैछै।

20 मगर हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरासिके एक-दोसरके सहायता कर्ते रहना चाही ताकी ऊ पवित्र सच्चाईसिमे जकरापर तुहेंसब विश्वास करैछैं, एक-दोसरके बनाबे सक्हैं। तोरासिके पवित्र आत्माके शक्तिसे मार्गदर्शन पाबिके प्रार्थना करना चाही।

21 तोरासिके यी जानीके जिना जारी राखना चाही कि परमेश्वर तोरासिसे प्रेम करैछौ। जब कि तुहेंसब उटा दिनके इन्तजार करैछैं जब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट आपन दयामे तोरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतौ।

22 ऊ आदमीसिके प्रति दयालु बन जेसब नैजानैछै कि कोन शिक्षापर विश्वास करियै।

23 कुछु दोसर आदमीसब जकरासिके तुहें चिन्हैछैं, ऊसब नरकके महर जैछै। ओकरासिके उटा कहियो खतम नैहुएवाला आगिनसे जल्दीसे टानिके बच्या ले। आर दोसरसिके प्रति दया देखा। मगर ओहिने किसिमके पाप करैसे बचैके लिए होशियार र। ताकी तुहेंसब ओकरसिके पापसिके द्वारा लोभैल नैजहैं, आर खुद उटा पापसिके करिके अपने आपके दागवाला बन्या लहैं।


परमेश्वरके स्तुति

24-25 एकटा खाली परमेश्वर ही छै जे तोरासिके पाप करैसे बचाबे सकैछौ आर तोरासिके निर्दोष आर आनन्दित बनाबे सकैछौ, जब ऊ तोरासिके आपन महिमामे आपन समनामे खडा करैछौ। ऊ अपनासिके आपनसिके उद्धारकर्ता प्रभु येशू ख्रीष्टद्वारा बचैल्कै छे। महिमा, गौरव, सामर्थ्य आर अधिकार समयके शुरुआतके पहेलासे ही ओकर रहै, आब भी ओकर छै आर सभे दिनके लिए ओकर ही रहतै। आमेन।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Následuj nás:



Reklamy