Online Bible

- Reklamy -

३ यूहन्ना 1 - केवट नया कारार


नमस्कार

1 यी चिट्ठी हमे, मण्डलीके अगुवा यूहन्ना, प्रिय गायसके लिखैछियै, जकरा हमे सच्चा प्रेम करैछियै।

2 हे प्रिय दोस्त, हमर यी प्रार्थना छै कि तुहें परमेश्वरके संगे सम्बन्धमे बढैछैं ओहिने करिके सभे दिन तुहें जे भी करैछैं ओकरामे तोर भला हौ, आर तुहें आपन शरीरमे स्वस्थ रहे सक्हैं।

3 कहिनेकी कुछु विश्वासी भ्यासब आबिके हमरा कहैल्कै कि तुहें परमेश्वरके सच्चा रस्तामे विश्वासयोग्यताके साथ जियैछैं। यी बात सुनिके हमे बहुते आनन्दित भेलियै छे।

4 जब हमे सुनैछियै कि जेसब हमर बेटाबेटीसिके जुगुर छै ऊसब परमेश्वरके सच्चाईके मुताबिक जियैछै, तब उटा बात हमरा आरहौ बेसी खुशी बनाबैछै।


सच्चाईके सिखाबेवालासिके सहायता कर

5 हे प्रिय दोस्त, तुहें आपनसिके विश्वासी भ्या-बहिनसिके सहायता करैके लिए बहुते चीज विश्वासयोग्य तरिकासे कैल्हैं छे। एत्तेतक कि तुहें जकरासिके नैचिन्हैछैं ओकरासिके भी सहायता करैछैं।

6 तोर सहायता कैल कुछु आदमीसब एत्करो मण्डलीके विश्वासीसिके केरंके तुहें आपन संगी विश्वासीसिके प्रेम करैछैं कहिके कहैल्कै छे। आब हमे तोरा कहैछियौ कि ऊसब जब दोसर जगह जैके लिए यात्रा करैछै तब तोरा यी आदमीसिके जरुरत पडल चीज द्याके निरन्तर सहायता करना चाही, कहिनेकी यी परमेश्वरके खुशी बनाबेवाला बात छै।

7 कहिनेकी यी आदमीसब ख्रीष्टके नाम चिन्हाबैके लिए सभे जगहमे यात्रा करैछै आर परमेश्वरके नैचिन्हेवाला आदमीसिसे कोनो सहायता नैलैछै।

8 सेल्याके अपनासिके एरंको आदमीसिके सहायता करे पडैछै, ताकी अपनासब भी सच्चाईके प्रचार करैके काममे ओकरसिके संगे सहकर्मी बने सकियै।


डियोत्रिफस आर डेमेत्रियस

9 हमे पहेला भी तोर सहरके मण्डलीके विश्वासीसिके एकटा चिट्ठी लिख्लियै रहे, मगर डियोत्रिफस हमर कहेल बात करैले अस्वीकार करैछै, कहिनेकी ऊ सभे दिनसे खुद ही मण्डलीके अगुवा बनैले चाहैछै।

10 सेल्याके जब हमे ऐबौ ते, तोरसिके समनामे ओकरद्वारा कैल सभे कामके स्पष्ट करिदेबौ, यानिकी सभे खराब-खराब बात बोलीके हमरापर लगैल आरोपके हमे स्पष्ट करिदेबौ। ओतनें ही नै, ऊ यात्रा करेवाला विश्वासी भ्यासिके भी स्वीकार नैकरैछै आर ओकरासिके स्वीकार करे चाहेवालासिके भी रोकैछै, आर ओकरासिके मण्डलीसे निकाली दैछै।

11 हे प्रिय दोस्त, खराब काम करेवाला आदमीके देख-सिख्खा नैकर, मगर भलाइके काम करेवाला आदमीके अनुसरण कर। जे कोय बढियाँ काम करैछै, यी बात यी देखाबैछै कि ऊ परमेश्वरके बेटा-बेटी छै। जे कोय खराब काम करैछै, यी बात देखाबैछै कि ऊ परमेश्वरके नैचिन्हैछै।

12 मण्डलीमे सभे झन कहैछै कि डेमेत्रियस एकटा बढियाँ आदमी छै कहिनेकी ऊ सच्चाईके मुताबिक जियैछै। हम्हुँसब कहैछियै कि ऊ एकटा बढियाँ आदमी छै, आर तुहें जानैछैं कि हमरसिके गवाही सच्चा छै।


अन्तिम नमस्कार

13 एरंको बहुते बातसब छै जे हमे तोरासिके कहैले चाहैछियै, मगर एरंको चिट्ठीमे ऊसब बात हमे लिखैले नैचाहैछियै।

14 मगर हमे तोरसिकते आबिके आमने-सामने बात करैके आशा करैछियै।

15 हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर तोरासिके शान्ति दौ। एत्करो सभे विश्वासी भ्या-बहिनसब तोरा नमस्कार भेजल्कौ छे। ओत्करो सभे विश्वासी भ्या-बहिनसिके भी व्यक्तिगत रुपसे नमस्कार कही दिहैं।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Následuj nás:



Reklamy