२ यूहन्ना 1 - केवट नया कारार1 यी चिट्ठी हमे, यूहन्ना मण्डलीके अगुवा लिखैछियै। हमे यी चिट्ठी परमेश्वरद्वारा चुन्ल जनानी आर ओकर बेटा-बेटीसिके लिखैछियै, जकरा हमे सच्चा प्रेम करैछियै आर खाली हमे नै, मगर सच्चाईके चिन्हेवाला सभेको ओकरासिके प्रेम करैछै। 2 अपनासिमे भेल सच्चाईके कारणसे हमेसब तोरासिके प्रेम करैछियै आर ऊ सच्चाई सभे दिन आपनसिके संगे रहतै। 3 हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर पिता आर ओकर बेटा येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह, कृपा आर शान्ति दौ। यी सभे आपनसिके लिए छै, जे सच्चाईके पालन करैछै आर एक दोसरके प्रेम करैछै। सच्चाईमे जिना 4 तोर बेटा-बेटीसिमेसे कक्रहौ-कक्रहौ जे आज्ञा अपनासिके परमेश्वर पिताके तरफसे मिल्लै रहे उटा सच्चाईमे चल्ल देखिके हमरा बहुते खुशी लाग्ल छै। 5 आब् हे जनानी, हमे तोरा आग्रह करैछियौ कि अपनासिके एक दोसरसे प्रेम करना चाही। यी एकटा नया आज्ञा नैछौ मगर उटा आज्ञा छै जे आज्ञा अपनासब ख्रीष्टके अनुयायी हुऐके समयसे ही मालुम रहै। 6 परमेश्वरके प्रेम करैके सच्चा तरिका परमेश्वरके देल आज्ञा मुताबिक जिना छै। ख्रीष्टके अनुयायी हुऐके समयसे ही तुहेंसब सुन्लहैं छे कि परमेश्वर तोरासिके एक दोसरके प्रेम करैके आज्ञा देल्कौ। ख्रीष्ट विरोधीके धोखासे सावधान 7 हमे यी कहैछियौ कहिनेकी बहुते आदमीसब जे दोसर आदमीसिके झुट्ठा शिक्षाद्वारा धोखा दैछै ऊसब सभे जगहमे गेलै छे। ऊसब कहैछै कि येशू ख्रीष्ट यी संसारमे आदमीके रुपमे नैऐलै छे। यदि कोनो आदमी एरं कहैछै ते ऊ आदमी ख्रीष्ट विरोधी छै, जे सभे दिन आदमीसिके धोखा दैछै। 8 सेल्याके होशियार र कि एरंको आदमी तोरासिके धोखा नैदौ आर परमेश्वरके सेवा करैके तोरसिके प्रयास व्यर्थ नैहौ। मगर तुहेंसब परमेश्वरके उटा सभे आशिष पाबे सक्हैं जकर वादा परमेश्वर तोरासे कैल्कौ छे। 9 सच्चा शिक्षासे भटकेवाला आदमीसब आर ख्रीष्टके शिक्षा मुताबिक नैचलेवाला आदमीसब परमेश्वरके सम्बन्धमे नैरहैछै। मगर ख्रीष्टके शिक्षा मुताबिक चलेवाला आदमी परमेश्वर पिता आर ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके सम्बन्धमे रहैछै। 10 यदि कोय यी शिक्षा नैसिखाबैछै ते, ओकरा आपन घरमे स्वागत नैकरिहैं आर ओकरा नमस्कार करिके उत्साह भी नैदिहैं। 11 कहिनेकी जे कोय ओकरा उत्साह दैछै ऊ भी ऊ आदमीके खराब काममे बराबरके हकदार हैछै। 12 एरंको बहुते बातसब छै जे हमे तोरासिके कहैले चाहैछियै, मगर एरंको चिट्ठीमे ऊसब बात हमे लिखैले नैचाहैछियै। मगर हमे तोरसिकते आबिके आमने-सामने बात करैके आशा करैछियै, तब अपनासब संगहै संग बहुते आनन्दित हैबै। 13 परमेश्वरसे चुन्ल तोरे बहिनके बेटा-बेटीसब तोरा नमस्कार भेजल्कौ छे। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation