२ कोरन्थी 2 - केवट नया कारार1 हमे आपन मनमे इहे बात ठानी लेलियै रहे कि फेर तोरसिकेलगत आबिके तोरासिके दुःख नैदियौ। 2 कहिनेकी यदि हमे तोरासिके दुःख देलियौ छे ते, तोरसिके सिवाय हमरा खुशी दिएवाला कोय नैबच्लै छे जकरा हमे दुःखित बनैलियै छे। 3 हमे उटा चिट्ठी इहे ल्याके लिख्लियौ रहे, हमर ऐलके बाद कहुँ एरं नै भ्याजै कि जे आदमीसिसे हमरा आनन्द मिलना चाही से आदमीसब हमरा दुःखित बनाबै। कहिनेकी हमर आनन्द तोरसिके सभैके आनन्द हैछै कहिके हमरा तोरसिके सभैके बारेमे भरोसा रहै। 4 दुःखसे भर्ल मनसे भितरी हृदयके बेदना सहते लोर बहया-बहयाके हमे यी चिट्ठी लिख्लियौ रहे। हमे ऊ चिट्ठी तोरासिके दुःख पहुँचाबैके लिए नै लिख्लियौ, मगर इहे ल्याके लिख्लियौ जे तुहेंसब यी जान्हैं कि हमे तोरासिके कतनें बेसी प्रेम करैछियौ। गल्ती करेवालाके माफी दहैं 5 जे आदमी यी सभे परेशानी खडा कैल्कै, ऊ आदमी हमरा दुःख पहुँचाबैसे बेसी तोरासिके सभैके दुःख पहुँचैल्कै छे। हमे ओकर पापके बढ्या-चढ्याके नै कहैले चाहैछियै। 6 जे सजाय तोरसिमेसे बहुते विश्वासीसब ओकरा देल्हैं छे, ऊ काफी छै। 7 सेल्याके आब ओकर अपराध माफ कर आर ओकरा सान्त्वना दहैं, नैते एरं नै भ्याजै कि एरं आदमी आपन विश्वासके पुरा तरहसे त्यागी दै। 8 इहे कारणसे हमे तोरासिसे बिन्ती करैछियौ कि ओकरा बता कि तुहेंसब वास्तवमे ओकरासे प्रेम करैछैं। 9 कहिनेकी हमे इहे ल्याके भी यी चिट्ठी लिख्लियौ रहे कि तोरासिके जाँचे सकियौ कि तुहेंसब हमर निर्देशनके पालन करैके लिए तैय्यार छैं कि नैछैं। 10 जकरा तुहेंसब कोनो विषयमे माफ करैछैं, ओकरा हमे भी माफ करैछियै। कहिनेकी हमे निश्चित रुपसे ओकरा पहलहैसे माफ करि देलियै छे जे भी माफ करैके जरुरत छै। आर हमे एकरा तोरसिके भलाइके लिए ख्रीष्टके समनामे माफ करि देलियै छे। 11 ताकी शैतान आपनसिके फैदा उठाबे नैसकै, कहिनेकी अपनासब जानैछियै कि ऊ हर बखत अपनासिके पाप करवाबैके लिए लोभाबैके तरिकासिके योजना बनाबैछै। नया करारके सेवकसब 12 आर जब हमे ख्रीष्टके खुश-खबरी प्रचार करैके लिए त्रोआस सहरमे ऐलियै, ओत्ते परमेश्वर हमरा खुश-खबरी प्रचार करैके महान अवसर देल्कै। 13 आपनसिके विश्वासी भ्या तीतसके नैदेखिके हमर मनमे चैन नैभेलै। सेल्याके त्रोआस सहरके विश्वासीसिसे बिदा भ्याके हमे तीतसके भेट करैके लिए माकेडोनिया प्रदेशमे वापस ऐलियै। 14 परमेश्वरके धन्यवाद है, ख्रीष्टके संगे आपनसिके एकताके कारण ऊ सभे दिन ओकरसंगे आपनसिके अगुवाई करैछै आर अपनासिके जित दिलाबैछै। एकर मतलब यी छै कि अपनासब जते भी जैछियै, ओत्ते खुश-खबरीके घोषणा करैछियै ताकी सभे आदमीसब सुनै आर परमेश्वरके जाने सकै। 15 कहिनेकी अपनासब ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके लिए जरैल गेल धुपके जुगुर छियै। आपनसिके द्वारा प्रचार कैल गेल खुश-खबरी उद्धार पैल आर उद्धार नैपैल सभे आदमीसिमे फैली रहेल सुगन्धके जुगुर छियै। 16 कतनें आदमीके खातिर ते मरैके लिए मौतके गन्ध आर कतनें आदमीके खातिर जीवनके लिए जीवनके सुगन्ध, आर वास्तवमे कोनो भी आदमी अपने आपसे यी सुगन्धके फैलाबैके योग्य नैछै। 17 हमेसब ऊ आदमीसिके जुगुर नैछियै, जे पैसा कमाबैके लिए परमेश्वरके वचनके प्रचार करैछै। मगर ख्रीष्टमे, हमेसब परमेश्वरके समनामे इमानदार आदमीसब आर ख्रीष्टके सेवकके रुपमे बोलैछियै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation